BJP आय तय क' सकैत अछि यूपी - उत्तराखंड केर मुख्यमंत्रीक नाम, राजनाथ सिंह - प्रकाश पंत दौड़ मे आगू

नई दिल्ली। 16 मार्च। अत्तर प्रदेश आओर उत्तराखंड के मुख्यमंत्री के बनता ? एहि सवालक जबाब आय भेट सकैत अछि। आय दिल्ली मे पार्लियामेंट्री बोर्ड केर बैठक होयत। मानल जे रहल अछि कि एहि बैठक मे उत्तर प्रदेश  आओर उत्तराखंड लेल मुख्यमंत्रीक नाम तय काएल जे सकैत अछि। एमहर, उत्तर प्रदेश मे सेहो आय विधायक दल केर बैठक भ' सकैत अछि।
उत्तर प्रदेश मे राजनाथ सिंह आओर उत्तराखंड मे प्रकाश पंत के नाम मुख्यमंत्री पद लेल चर्चा मे अछि। ओनाकि, कैल्ह बुधवार दिन राजनाथ सिंह एहि अटकला केँ फुइस फटक कहलनि। अपने के बता दी उत्तर प्रदेश  मे बीजेपी आओर सहयोगी पार्टी के 325 सीट भेटल अछि। एम्हर, उत्तराखंड मे बीजेपी के 70 मे 56 सीट भेटल अछि। उत्तर प्रदेश लेल राजनाथ सिंह के नाम सभसँ आगू बताओल जे रहल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने