सुप्रीम कोर्ट के आदेश, राम मंदिरक मुद्दा दुनु पक्ष मिल सोझराऊ

नई दिल्ली। 21 मार्च। सुप्रीम कोर्ट राम मंदिर पर अहम टिप्पणी करैत आय मंगल दिन कहलनि कि दुनु पक्ष आपस मे मिल एहि मामला के सोझराऊ। अगर जरुरत पड़ैत अछि तेँ सुप्रीम कोर्ट के जज मध्यस्थता लेल तैयार अछि। सुप्रीम कोर्ट कहलनि कि राम मंदिर केर मामला धर्म आओर आस्था सँ जुड़ल अछि। 

एहि मामला मे कोर्टक टिप्प्णी केर बारे मे जानकारी दैत याचिकाकर्ता सुब्रमण्यम स्वामी बतौलन्हि कि चीफ जस्टिस कहलनि कि जरूरत पड़े तँ सुप्रीम कोर्ट के जज एहि मामले मे मध्यस्थता लेल तैयार अछि। कोर्ट दुनु पक्षक बातचीत लेल अगिला शुक्र दिनक समय देलन्हि अछि।

सुब्रमण्यम स्वामी कहलनि कि हम मध्यस्थता लेल तैयार छी। भगवान राम जते जन्म लेला मंदिर ओतहि बनत। मस्जिद कतहुँ बैन सकैत अछि। नमाज सड़क पर सेहो पढ़ल जे सकैत अछि। हमरा उम्मीद अछि कि मुस्लिम समुदाय एहि सकारात्मक प्रस्ताव पर विचार करथिन। एहि  मामला पर प्रतिक्रिया दैत मुस्लिम धर्मगुरु कल्बे जवाद कहलनि कि जे अदालत केर फैसला होयत ओ हमरा मंजूर होयत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने