अखिलेश - मुलायम केर झगड़ा पर लालू कएलनि रिसर्च, अमर सिंह के कहलनि 'घरफोड़वा'

पटना। 06 मार्च। राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद उत्तर प्रदेश विधानसभा चुनाव व अखिलेश - मुलायम के हालिया विवाद पर बड़का बयान देलन्हि अछि। लालू यादव  दावा कएलनि अछि कि उत्तर प्रदेश चुनाव मे सपा क' 325 से बेसी सीट भेटा जे रहल अछि।

लालू यादव मुख्यमंत्री अखिलेश यादव आओर हुनकर पिता मुलायम सिंह यादव के बीचक विवाद पर कहलनि कि यादव 'ऑल इंडिया' कास्ट अछि आओर एहि जातिक लोग महिषक दूध पिबैत अछि। यादव सँ तेँ कियो दोसर गोटा लड़ी नहि सकैत अछि। ताहिलेल यादव आपसे मे लड़ैत छैथ।   

राजद सुप्रीमो लालू यादव मुलायम व अखिलेश विवाद पर बाजैत अमर सिंह के ऊपर सेहो बड़का बयान देलनि। लालू यादव अमर सिंह के 'घरफोड़वा' करार देलन्हि। लालू यादव यूपी चुनाव मे सपा-कांग्रेस गठबंधन केर जीतक दावा करैत कहलनि कि सपा-कांग्रेस 325 से बेसी सीट हासिल करत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने