मधुबनी। 21 मार्च। [मिहिर कुमार झा] - मधुबनी जिलाक प्रसिद्ध भोला बाबाक स्थान मे सँ एक मुन्नी नाथ महादेव केर प्रांगण, बेला, बाबूबरही मे प्रभु केर असीम अनुकम्पा आओर समस्त ग्रामीण व भक्तलोकनिक सहयोग सँ श्री श्री 108 भगवान विष्णु महायज्ञ केर सुभारम्भ कैल्ह 22 मार्च सँ होमे जे रहल अछि।
अपने के कहैत बहुत प्रसन्नता भ' रहल अछि कि ई स्थल हमर जन्मभूमि थीक। कैल्ह बुधवार 22 मार्च के कलश स्थापन होयत तेँ ओतहि बृन्दाबन सँ आयल कलाकार लोकनि भगवान विष्णु महायज्ञ मे रासलीला प्रस्तुत करथिन। ऐहिक संग 52 मण्डली केर भंडारा सेहो राखल गेल अछि। लगातार 15 दिन धरी चलै बला श्री श्री 108 भगवान विष्णु महायज्ञ केर नाम मात्र से समस्त ग्रामीण लोकनि झूमि रहल छैथ।
अपने धरी ई खबैर एहिलेल प्रेषित क' रहल छी ताकि अपनहुँ समय निकैल यज्ञ मे पहुंच पूण्य केर भागी बनी। मुन्नी नाथ महादेव केर प्रांगण, बेला, बाबूबरही एक एहेन जगह अछि जता मिथिलांचल के अलावा सीमा सँ सटल पड़ोसी देश नेपाल सँ सेहो बहुत रास भक्त सदिखन आबैत रहैत छथि। एहिठाम सदिखन नवाह, कीर्तन, अष्टजाम सभक आयोजन भक्तलोकनि द्वारा सभ तरहक मनोकामना पूर्ण भेला पर होइते रहैत अछि। समस्त मिथिलांचल वासी के हकार दैत छी, संगहि निवदेन करैत छी अपने समस्त परिवार संग यज्ञ मे उपस्थित भ' यज्ञ के सफल बनाबी। हर हर महादेव - मुन्नीबाबा की जय।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।