परीक्षा मे मधुबनी जे रहल शिक्षिका के सड़क हादसा मे मौत

मधुबनी। 08 मार्च। बेनीपट्टी क्षेत्रक रहिका व अरेड़क बीच मैट्रिक परीक्षा मे प्रतिनियूक्त महिला शिक्षिका के मौत सड़क हादसा मे भ' देलैन्ह। मृत शिक्षिका केर पहचान बेनीपट्टी थानाक बररी पंचायत अंतर्गत राजगढ़ा गाम निवासी मो. अकरम केर 35 वर्षीय पत्नी हेना प्रवीण के रूप मे भेल अछि। जे मध्य विद्यालय सुजातपुर मे शिक्षिकाक पद पर कार्यरत छलीह।

प्राप्त जानकारी केर मुताबिक़ शिक्षिका मधुबनी मैट्रिक परीक्षा मे प्रतिनियूक्त छली आओर मधुबनी अपन स्कुटी सँ जायत छली, एहि दरमियान एकाएक कुनु बड़का वाहन सँ टकरा गेली। स्थानीय लोग सभ  आनन फानन मे हुनका मधुबनी सदर अस्पताल ल' गेलनि। जते चिकित्सक सभ हुनका मृत घोषित क' देलनि। बादमे घटनास्थल पर प्राप्त शिक्षिका के मोबाईल से हुनक परिजन सभके खबैर देल गेल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ