'सुफल सेवा संस्थान बनगाँव' द्वारा डेयरी फार्मिंग प्रशिक्षण शिविर केर आयोजन

सहरसा। 08 मार्च। कैल्ह मंगल दिन सहरसा जिला के बनगाँव गामक चौक पर अवस्थित छेद नारायण समाज सदन के परिसर मे 'सुफल सेवा संस्थान बनगाँव' द्वारा आयोजित सात दिवसीय  'डेयरी फार्मिंग प्रशिक्षण शिविर' केर समापन भेल। दिनांक 01 मार्च 2017 से आरम्भ भेल एहि साप्ताहिक प्रशिक्षण शिविर मे कुल 35 गोटाकेँ पशु - पोषण, दुग्ध - उत्पादन, रख - रखाव, रोग आओर रोग सँ बचाव सम्बंधित अद्यतन जानकारी डेयरी प्रशिक्षक श्री आनंद कुमार मिश्र द्वारा देल गेल।  
एहि अवसर पर संस्थाक सचिव श्री पारस कुमार झा कहला कि संस्था पशुपालन एवं कृषि के सन्दर्भ मे आवश्यक जानकारी उपलब्ध करेबाक लेल समय - समय पर एहि तरहक शिविर केर आयोजन करैत रहत। एहि अवसर पर सुमन खाँ समाज, महेश कुमार, मणिकांत ठाकुर, विनय कुमार खाँ, दीपक कुमार मिश्र, मुकेश कुमार खाँ, चन्दन कुमार आओर आन लोकनि अपन - अपन विचार व्यक्त कएलनि। 

सुफल सेवा संस्थान बनगाँव के सभ पदाधिकारी, सदस्य एवं कार्यकर्त्ता सहित राकेश रंजन, किशोर कुमार, राजकुमार मिश्र लोकनि सक्रीय रूपसँ शिविर के सफल बनेबाक लेल अपन योगदान देलैन्ह। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने