कड़ा सुरक्षाक बीच आय से मैट्रिक (10वीं) केर परीक्षा शुरू भेल

पटना। 01 मार्च। बिहार विद्यालय परीक्षा समिति द्वारा आयोजित मैट्रिक (10वीं) के परीक्षा कड़ा सुरक्षा व्यवस्था के बीच आय बुधवार दिन से शुरू भेल। एहि परीक्षक लेल राज्यभरि मे कुल 1,532 परीक्षा केन्द्र बनाओल गेल अछि। एहिबेरक परीक्षा मे पूरा राज्यसे 17 लाख 63 हजार 423 परीक्षार्थी शामिल भेल अछि, जाहिमे 8,97,168 छात्र आओर 8,66,255 छात्रा अछि। पिछ्ला बरखक तुलना मे करीब ढाई लाख बेसी विद्यार्थी एहि बरख परीक्षा द' रहल अछि।


कदाचार रोकबाक लेल सभ परीक्षा केन्द्र पर धारा 144 के तहत निषेधाज्ञा लागू कायल गेल अछि। बिहार विद्यालय परीक्षा समिति के अलावा सभ जिला मे  नियंत्रण कक्ष 24 घंटा कार्यरत रहत। 


बिहार विद्यालय परीक्षा समिति के अध्यक्ष आनंद किशोर केर अनुसार, सभ परीक्षा केन्द्र पर 25 परीक्षार्थि पर एक शिक्षिक प्रतिनियुक्त अछि। परीक्षा केन्द्र के भीतर मोबाइल, ब्लू टूथ, कैलकुलेटर सहित सभी तरहक  इलैक्ट्रॉनिक उपकरण वर्जित कायल गेल अछि। 


बिहार विद्यालय परीक्षा समिति के एक अधिकारी कहला कि एहि बरख परीक्षाक लेल  सुरक्षा केर पुख्ता प्रबंध कायल गेल अछि। सभ परीक्षा केन्द्रक बाहर सीसीटीवी कैमरा लगाओल गेल अछि। परीक्षा हॉल के भीतर आओर बाहर वीडियोग्राफी कराओल गेल। 

अपने के बता दी कि दुई बरख पहिने मैट्रिक के परीक्षाक दौरान नकल केर  घटना सँ पूरा राज्य केर बदनामी भेल छल। चारि मंजिला इमारत पर चढ़ी  नकल करेबाक फोटो देश आओर विदेश केर मीडिया मे प्रकाशित भेल छल संगे ई फोटो सोशल मीडिया पर सेहो वायरल भेल छल। पिछला बरख  12वीं के परीक्षा मे टॉपर्स ल'के घोटाला सामना आयल छल। एहि सभके ध्यान मे राखैत विभाग एहि बरख परीक्षा क' कदाचारमुक्त संपन्न करेबा मे कोनो कसर नहि छोड़लन्हि अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने