दरोगा बाप मिसाल पेश करैत शराब तस्कर बेटाकेँ कएलनि गिरफ्तार

दरभंगा। 11 मार्च। शराबक कैको बोतल संग दरोगा के बेटाक गिरफ्तारी केर मामला सामना आयल अछि। मामला विश्वविद्यालय थाना क्षेत्र के अछि, जतें चेकिंग अभियान केर दौरान दरोगा के बेटा लग भारी मात्रा मे शराबक बोतल भेटल। ई मामला पुलिस क' बेईमान बुझै बला लोग सभक विचार बदैल सकैत अछि। दरोगा प्रभात शंकर सिंह अपन वर्दी आओर बेटाक बीच अपन वर्दीक बेसी महत्त्व दैत अपन बेटा इंद्रजीत के शराबक तस्करी करबाक आरोप मे गिरफ्तार कएलनि।

होली से पहिने इंद्रजीत शराब तस्कर सभक गिरोह जॉइन कएलनि आओर  विदेशी शराब के 25 बोतल तस्करी करि बिहार आनला। हुनकर योजना एहिके बेच नीक मुनाफा कमबैक छलैन्ह। इंद्रजीत अप्पन एहि योजना मे कामयाब नहि भ' पएलाह आओर हुनकर पिता प्रभात शंकर सिंह के ऐहिक पता चललैन्ह। दरोगा प्रभात शंकर सिंह बेटाक योजना के भनक लागते दरभंगा मे अपन वरिष्ठ अफसर के ऐहिक जानकारी देलनि आओर पुलिस हुनका घर छापा मारी शराबक बोतल संग इंद्रजीत के गिरफ्तार क' लेलनि। बाद मे इंद्रजीत के कोर्ट मे पेशी कायल गेल आओर हुनका जेल भेजल गेल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने