उत्तर प्रदेश मे मोदीक 'बिहैर' मे उड़ला लालू

पटना। 11 मार्च। उत्तर प्रदेश चुनाव के रुझान से ई स्पष्ट भ' गेल अछि कि बीजेपी पूर्ण बहुमतक संग उत्तर प्रदेश मे सरकार बनबे जे रहल अछि। एहि परिणाम केर सीधा असर बिहारक राजनीति पर पड़त। ऐहिक सभसे बेसी असर लालू यादव पर पड़त। बिहार मे महागठबंधन दिस से सिर्फ लालू उत्तर प्रदेश मे चुनाव प्रचार केना छला। ओतहि, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार चुनावी तारीख के ऐलान होमै से पहिने उत्तर प्रदेश के मैदान मे उतरबाक तैयारी तेँ कएलनि, मुदा चुनावी तारीख के घोषणाक बाद खुद के उत्तर प्रदेश सँ अलग क' लएलन्हि। 

बिहार मे महागठबंधन के सबसे बड़का नेता लालू यादव उत्तर प्रदेश मे लगातार सपा - कांग्रेस के लेल प्रचार करैत छला। ओ लगातार सपा के  जीतक दावा सेहो करैत छला। लालू लगातार प्रधानमंत्री पर हमलावार रहला। सिर्फ लालू नहि हुनकर पुत्र तेजस्वी यादव सेहो उत्तर प्रदेश चुनाव लेल लगातार पीएम पर हमला करैत छला। लालू कहने छला कि बिहारे जोका उत्तर प्रदेश मे बीजेपी कए जनता उखैड फेकत। मुदा भेल उल्टा, आब एतबा तेँ तय भ' गेल अछि कि बिहार जोक लालू के उत्तर प्रदेश मे करिश्मा नहि चलल। 

एनामे पूर्व मुख्यमंत्री जीतनराम मांझी दावा कएलनि अछि कि उत्तर प्रदेश  मे समाजवादी पार्टी के हारक बाद लालू कमजोर हेता। ओतहि, नीतीश मजबूत हेता। कहल जायत अछि कि बिहार मे सत्ता केर बागडोर भलेहिं नीतीश लग अछि, लेकिन कैको मामला मे चाभी लालू लग होयत अछि। 
 
ओनाकि नीतीश कुमार इशारा - इशारा मे संकेत देबा से नहि चूकैत छैथ कि राजनीति मे किछूभी संभव अछि। कैको मुद्दा पर बीजेपी के समर्थन करि नीतीश कुमार अप्पन इरादा जाहिर सेहो केना छैथ। नीतीश राष्ट्रीय स्तर पर इयो तैयारी क' रहल छैथ कि खुद मजबूत विपक्ष के नेताक तौर पर प्रस्तुत होयथ। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने