भारतीय जनता पार्टी के उत्तर प्रदेश - उत्तराखंड मे प्रचंड बहुमत, कांग्रेस छिन्लैंह पंजाब

नई दिल्ली। 11 मार्च। उत्तर प्रदेश आओर उत्तराखंड के चुनाव नतीजा  बीजेपी क' केसरिया होली खेलबाक मौका देलनि अछि। राम मंदिर से सेहो  प्रचंड मोदी लहर पर सवार बीजेपी उत्तर प्रदेश आओर उत्तराखंड मे एखन धरिक सभसँ पैघ जीत हासिल कैलन्हि अछि। पांच राज्य के चुनाव लेल आय शनिवार दिन भेल मतगणना के नतीजा आओर रुझान मे बीजेपी 403 सीट बला यूपी मे 324 के पार, जखनकि 70 सीट बला उत्तराखंड मे 57 से बेसी सीट जितैत देखार द' रहल अछि। 

दुनू राज्य मे बीजेपी के ई एखन धरिक सभसँ बड़का जीत अछि। ओनाकि पंजाब मे बीजेपी क' झटका लागल अछि। पंजाब मे आम आदमी पार्टी के अरमान के खिचाथैत  कांग्रेस प्रचंड बहुमत के संग बीजेपी - अकाली सरकार क' सत्ता से बेदखल करबाक लेल बढ़ी रहल अछि। गोवा आओर मणिपुर मे बीजेपी आओर  कांग्रेस के बीच जबरदस्त मुकाबला चैल रहल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने