राष्ट्रपति प्रणल मुखर्जी लालू यादव के दुनु पुत्र, तेजस्वी आओर तेजप्रताप केर चर्चा करैत कहलनि कि दुनु भाई आब नमहर भ' गेलथि, मंत्री बैन गेलथि, हम नेना मे दुनु के देखने छलहुँ। आगा ओ सम्मेलन क' संबोधित करबाक बाद लोग सभके धन्यवाद द' सभके विदा कहलनि आओर पटना एयरपोर्ट पहुँच वापस विमान सँ दिल्ली लेल प्रस्थान कएलनि। कार्यक्रम मे राज्यपाल रामनाथ कोविंद, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव, शिक्षामंत्री अशोक चौधरी सहित कैको गणमान्य उपस्थित छलथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।