महाराष्ट्र मे डॉक्टर सभक संग भेल माएर-पीटक विरोध मे डीएमसीएच के डॉक्टर सभ हेलमेट पहिर कएलनि काज

दरभंगा। 24 मार्च। महाराष्ट्र मे डॉक्टर सभक संग भेल माएर-पीटक घटना केर विरोध थमबाक बदला बढ़ले जा रहल अछि। पहिने विरोधक आवाज महाराष्ट्र सँ गुंजल ओहिक बाद ई गूंज महाराष्ट्र सँ निकली नई दिल्ली केर  एम्स पहुँचल आओर ओता के रेजिडेंट डॉक्टर सभ विरोधक रूप मे हेलमेट पहिर मरीज सभक इलाज कएलनि। एक सप्ताह के भीतर महाराष्ट्र मे डॉक्टर सभक संग छह बेर माएर-पीट केर  घटना धीरे धीरे पूरा भारत मे डॉक्टर सभक बीच तूल पकड़ैत जा रहल अछि। 
महाराष्ट्र मे डॉक्टर सभक संग भेल माएर-पीटक घटना केर विरोध आय  दरभंगा मेडिकल कालेज एन्ड हॉस्पिटल मे सेहो देखबाक लेल भेटल। जता जूनियर डॉक्टर सभ महाराष्ट्र मे डॉक्टर सभक संग भेल माएर-पीटक विरोध मे हेलमेट पहिर काज करैत नजैर ऐलथि। ओतहि जूनियर डॉक्टर्स एसोसिएसन केर अध्यक्ष डॉ सतीश सिंह मिडिया सँ बात करैत कहलनि कि ई विरोध ताधरि जारी रहत, जाधरि सरकार द्वारा कुनू तरहक ठोस डेग नहि उठाओल जायत आओर हम सभ भोर 10 बजे सँ सांझ 4 बजे धरी  एहि प्रकारे हेलमेट पहिर मरीज सभक सेवा करैत रहब आओर अपन विरोध जारी राखब।  

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने