असिस्टेंट इंजीनियर के 1065 पद लेल भर्ती, 12 अप्रैल तक के सकैत छी आवेदन

पटना। 07 मार्च। बिहार पब्लिक सर्विस कमीशन असिस्टेंट इंजीनियर के 1065 पद पर भर्ती लेल आवेदन आमंत्रित कएलनि अछि। इच्छुक आओर योग्य अभ्यर्थी 12 अप्रैल, 2017 तक आवेदन क' सकैत अछि। 

पदक विवरण : कुल पद (असिस्टेंट इंजीनियर) 1065

शैक्षणिक योग्यता : एहि पद पर भर्तीक लेल आवेदन करनिहार आवेदक लग देशक कुनु भी बोर्ड, विश्वविद्यालय वा संस्थान से मैकेनिकल आओर  सिविल ट्रेड से  B.E./ B.Tech. होनाय जरुरी। 
 

वेतनमान : इन पद पर नियुक्तिक बाद चयनित अभ्यर्थि सभके 9300-34800/- टाका वेतन प्रतिमाह देल जायत। 

नौकरी स्थान : इन पदक लेल चयनित अभ्यर्थि सभक पद-स्थापना बिहार मे होयत। 
 

आयु सीमा : इन पद पर आवेदन करबाक लेल आवेदक केर न्यूनतम आयु  21 बरख आओर अधिकतम आयु 42 बरख निर्धारित कायल गेल अछि। 
 

चयन प्रक्रिया : एहि पदक लेल योग्य अभ्यर्थि सभक चयन लिखित परीक्षा आओर साक्षात्कार मे हुनक व्यक्तिगत प्रदर्शन आओर मेधा सूची केर आधार पर कायल जायत। 
 

ऐना करि आवेदन : बिहार पब्लिक सर्विस कमीशन (Bihar Public Service Commission - BPSC) मे असिस्टेंट इंजीनियर पद पर भर्तीक लेल आवेदन करबाक इच्छुक अभ्यर्थी BPSC केर वेबसाइट http://bpsc.bih.nic.in/ पर लॉग-इन करि 12 अप्रैल, 2017 तक ऑनलाइन आवेदन क' सकैत छैथ। 


Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने