बिहार मे तैयार भेल 'एसी जैकेट', रिमोट से घटा -बढ़ा सकैत छी तापमान

नवादा। 07 मार्च। बिहारक लोग एक बेर फेरसँ अपन प्रतिभा दिनियांक समक्ष रखलनि। एहि बेर स्वदेशी तकनीक सँ वातानुकूलित जैकेट तैयार कायल गेल अछि। जाहि जैकेट के ठंढ़ीक मैसम मे गर्मी आओर गर्मीक मौसम ठंढी बढाओल जे सकैत अछि। ई कमाल नवादा जिलाक खनवां गाम के लोग सभ केन छैथ। 

एहि वातानुकूलित जैकेट के लोकार्पण केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह कएलन्हि। खनवां गिरिराज सिंह के संसदीय क्षेत्र सेहो अछि। एहि तरहक जैकेट तैयार करे बला खनवां देशक पहिल गाम अछि। भारत मे एहीसे पहिने स्वदेशी तकनीक सँ एहेन जैकेट केर निर्माण नहि भेल छल।

केंद्रीय लघु मध्यम एवं कुटीर उद्योग राज्यमंत्री गिरिराज सिंह खनवां गाम स्थित भारतीय हरित खाद ग्रामोदय संस्थान मे एहि जैकेट क' प्रदर्शित कएलनि। एहि वातानुकूलित जैकेट मे अत्याधुनिक तकनीक सभक इस्तेमाल कायल गेल अछि। 

एहि जैकेट मे क्लाइमेट रिमोट अछि, जाहिसे 20 से 25 डिग्री सेल्सियस तक तापमान बढाओल वा घटाओल जे सकैत अछि। ऐहिक भीतर छोट - छोट पंखा लागक अछि, जाहिसे गरम व ठंढा हवा निकलैत अछि। एहि  तकनीकक खोज एमआईटी के छात्र क्रांति कएलन्हि अछि। एखन धरी एहि जैकेट के दाम तय नहि भेल अछि। गिरिराज सिंह कहला कि एहि  जैकेट के बनेबा मे 20 से 25 हजार टाका खर्च आयल अछि। मुदा, ऐहिक दाम नीति आयोग तय करत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने