श्रम संसाधन मंत्री विजय प्रकाश के गाड़ी दुर्घटनाग्रस्त, कैको पुलिसकर्मी जख्मी

मोकामा। 04 फरवरी। बिहारक श्रम संसाधन मंत्री विजय प्रकाश के गाड़ी दुर्घटनाग्रस्त होयबाक खबैर अछि। एहि दुर्घटना मे कैको सुरक्षाकर्मी के घायल होयबाक खबैर अछि। ई हादसा ओहि समय भेल जखन मंत्री विजय प्रकाश पटना वापस आबैत छला।

बताओल जे रहल अछि कि जखन मंत्री विजय प्रकाश केर काफिला पटना दिस जायत छलैन्ह, ओहि समय हुनकर आगू आगू जाय बला एस्कॉर्ट गाड़ी पलटी गेलैन्ह। बख्तियारपुर पटना फोरलेन स्थित कटौना गाम लग भेल एहि हादसा मे कैको पुलिसकर्मी घायल भ' गेला। हादसा के शिकार सभ पुलिसकर्मि के तुरंत इलाजक लेल पटना ल' गेल गेलैन्ह।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने