बिहार सरकारक मंत्री के प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक खिलाप विवादास्पद वीडियो भेल वायरल

पूर्णिया। 01 मार्च। बिहार सरकार के मद्य निषेध एवं उत्पाद मंत्री जलील मस्तान के एक विवादास्पद वीडियो वायरल भेल अछि। एहि विडियो मे ओ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी क' नक्सली डकैत कहलनि अछि। जलील मस्तान नोटबंदी के जिक्र करैत कहलनि कि नोटबंदी से भेल परेशानीक लेल नरेंद्र मोदी एहेन प्रधानमंत्री के जूता मारबाक चाहि।

जलील मस्तान के वीडियो सामना अएलाक बाद एक नवा विवाद उत्पन्न भ' गेल अछि। नोटबंदी केर विरोध मे आयोजित एक कार्यक्रम के दौरान मंत्रीजी तखन विवाद ठाढ़ क' देलनि जखन ओ ओहिठाम उपस्थित भीड सँ नोटबंदीक फैसला के विरोध करे आओर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केर फोटो  पर जूते मारे कहलनि। 

एक टीवी चैनल पर उक्त वीडियो देखाओल गेलाक बाद आक्रोशित भाजपा के वरिष्ठ नेता सुशील कुमार मोदी कहलनि कि एहि मामला के विधानमंडल के दुनु सदन मे उठबैत उक्त मंत्री के बर्खास्त करबाक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सँ मांग कायल जायत।

एहि मामला पर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कहलनि कि किनको विचारधारा केर विरोध भ' सकैत अछि। संविधान कुनु व्यक्ति जे एक राज्य मे एक मंत्री छैथ, हुनका प्रधानमंत्री क' एहिप्रकारे अपमानित करबाक लेल भीड क' उकसेबाक  अनुमति नहि दैत अछि।

कांग्रेस के प्रदेश अध्यक्ष आओर राज्य के शिक्षा मंत्री अशोक चौधरी कहलनि कि ओ उक्त वीडियो नहि देखने छैथ मुदा सार्वजनिक जीवन मे भाषा पर नियंत्रण होबाक चाहि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ