225 कार्टून विदेशी शराब बरामद, 2 तस्कर गिरफ्तार

बेगूसराय। 02 फरवरी। बिहार मे शराबबंदी केर बावजूद शराबक अवैध कारोबार खूब चैल रहल अछि। ताजा मामला के खुलासा बरौनी पुलिस कएलन्हि अछि। पुलिस 225 कार्टून विदेशी शराब बरामद कएलन्हि अछि। ऐहिक संग 2  शराब तस्कर क' गिरफ्तार करि जेल भेजल गेल अछि।

बरौनी थानाध्यक्ष गजेंद्र सिंह केर मुताबिक पुलिस क' गुप्त सूचना भेटल छल कि सब्जि सँ भरल ट्रक मे विदेशी शराब के बड़का खेप बेगूसराय मे आबै बला अछि। जाहिक बाद पुलिस कार्रवाई करैत बरौनी थाने के बीच एनएच पर सघन चेकिंग शुरू कएलन्हि।

एहि दौरान पुलिस एक ट्रक क' पकरलैन्ह। जाहिमे सब्जि भरल छल। ओहि ट्रकक तलाशी मे 225 कार्टून विदेशी शराब बरामद भेल। ट्रक चालक आ उपचालक क' गिरफ्तार करि पुलिस पूछताछ क' रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने