तेजप्रताप यादव के जिलेबी छानैत फोटो सोशल मीडिया पर वायरल

पटना। 02 फरवरी। सरस्वती पूजा केर दौरान बिहारक स्वास्थ्य मंत्री तेजप्रताप यादव जिलेबी छानैत देखार देला। स्वास्थ्य मंत्री तेजप्रताप यादव के ई फोटो सोशल मीडिया पर वायरल भ' रहल अछि। राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव के बड़का बेटा आ स्वास्थ्य मंत्री तेजप्रताप यादव कहियो  बांसुरी तें कहियो डमरू बजबैत देखार दैत छैथ। 

गौरतलब अछि कि 2016 मे जन्माष्टमी के मौक़ा पर भेल प्रोग्राम मे ओ बांसुरी बजबैत नज़र आयल छला। एहीसे पहिने 4 अगस्त क' सेहो तेजप्रताप यादव विधानसभा केर कार्यवाही स्थगित होयबाक बाद विधानसभा केर कैंटीन पहुंच गाजा मिठाई बनबैत नज़र आयल छला। 

तेजप्रताप यादव 26 दिसंबर 2015 क' अप्पन अंदाज मे क्रिसमस मनेबाक लेल पैतृक सरकारी आवास से घुड़सवारी करैत अप्पन सरकारी आवास पहुँचल छला। ऐहिक अलावा कैको मौका पर हुनका क्रिकेट खेलैत आर साइकिल केर सवारी करैत देखल गेल छल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने