लालू क' बजट केर बोध नहि अछि : सुशील कुमार मोदी

पटना। 02 फरवरी। पूर्व उप मुख्यमंत्री आ बीजेपी नेता सुशील कुमार मोदी कहलैन्ह कि लालू यादव क' बजट केर बोध नहि अछि। हुनका बजट पर टिका - टिपण्णी करबाक कुनु अधिकार नहि अछि। आरजेडी के अध्यक्ष आ पूर्व रेल मंत्री लालू प्रसाद बिहारक अनदेखी, घोषणा के बावजूद विशेष पैकेजक जिक्र नहि करबाक व बेरोजगार सभक लेल कुनु प्रावधान नहि करबाक लेल केंद्र सरकार के बजटक आलोचना कएलन्हि आ प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केर तुलना मनमानी के लेल मशहूर अमेरिका के नवा राष्ट्रपति डॉनल्ड ट्रंप से कएलन्हि। लालू यादव ऐता धरी की दुनु के 'जुड़वा भाई' तक करार देलन्हि। 

हुनकर बात से आहत सुशील कुमार मोदी कहला कि ई उवे लालू प्रसाद छैथ, जिनकर शासनकाल क' बिहार मे जंगलराज कहल जायत छल। जतेक व्यवसायी ओहि दौर मे पलायन करे लागल छल। लालू क' बजट केर बोध नहि अछि। हुनका बजट पर बाजबाक कुनु अधिकार नहि अछि।  बीजेपी नेता सुशील कुमार मोदी आम बजट क' गरीब आर पिछड़ल राज्य सभक लेल लाभप्रद बतौलन्हि।

उल्लेखनीय अछि कि आम बजट क' लालू यादव निराशाजनक बजट करार दैत कहलैन्ह कि एहि बजट मे गरीब, किसान सभक लेल किछो नहि अछि। लालू प्रसाद यादव जाहि समय रेल मंत्री छलाह, हुनकर रेल बजट केर बहुत तारीफ भेल छल। रेलवे क' मुनाफा मे पहुँचेबाक 'मैनेजमेंट' केर गुर सिखेबाक लेल हुनका विदेश से सेहो बुलावा आयल छलैन्ह। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने