जेलक भीतर सेल्फी मामला मे शहाबुद्दीन क' जमानत, जमानत भेटबाक बादो जेले मे रहता

सीवान। 08 फरवरी। सीवान जिलाके एक अदालत राष्ट्रीय जनता दल (आरजेडी) केर पूर्व सांसद मोहम्मद शहाबुद्दीन क' जेल सँ फोटो वायरल होयबाक मामला मे कैल्ह मंगलवार दिन जमानत द' देलैन्ह। सीवान व्यवहार न्यायालय के चीफ जूडिशल मजिस्ट्रेट अरविंद कुमार केर  अदालत जेल सँ फोटो वायरल होयबाक मामला मे सुनवाई केलैन्ह आ दुनु पक्षक सुनबाक बाद आरोपी पूर्व सांसद क' जमानत द' देलैन्ह।

अपने के बता दी कि जनवरी माहमे पूर्व सांसद शहाबुद्दीन के जेल सँ तीन फोटो सोशल मीडिया पर वायरल भेल छल, जाहिक बाद विपक्षी दल सभ एहि मामला मे सरकार पर खूब निशाना साधने छल। ऐहिक बाद राज्य के जेल महानिरीक्षक आनंद किशोर केर निर्देश पर पूरा मामलाक जांच कराओल गेल छल।

सीवान के जेल अधीक्षक विधु कुमार भारद्वाज एहि मामला मे पूर्व सांसद आर आन केर खिलाफ धारा 66 (सी) आ जेल प्रिजनर्स एक्ट के तहत मुफस्सिल थाना मे एक प्राथमिकी दर्ज करेना छला। एहि मामला मे अदालत कैल्ह पूर्व सांसद क' अदालत मे पेश करबाक आदेश अधीक्षक क' देलैन्ह। ओना, फोटो वायरल मामला मे जमानत भेटबाक बादो शहाबुद्दीन जेले मे रहता। सीवान के चर्चित तेजाब हत्याकांड मे शहाबुद्दीन सीवान जेल मे बंद छैथ।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने