नोटबंदी सही वक्त पर लेल गेल सही फैसला : नरेंद्र मोदी

नई दिल्ली। 08 फरवरी। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कैल्ह मंगलवार दिन अप्पन सरकार के नोटबंदीक डेगक बचाव केलैन्ह आ कहलैन कि ई भारतीय अर्थव्यवस्था क' कर चोरी आ काला धन से बचेबाक लेल सही वक्त मे लेल गेल सही निर्णय छल। नरेंद्र मोदी राष्ट्रपति के अभिभाषण पर धन्यवाद प्रस्ताव के जवाब मे 8 नवंबर, 2016 के 500 आ 1,000 टाका के नोट बंद करबाक फैसला केर विरोध करबाक उपहास उड़ेलैन्ह।

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी कहला कि अपने ऑपरेशन कखन कार्बाबैत छी ? जखन अपनेक शरीर स्वस्थ रहैत अछि। नोटबंदीक लेल नीक अर्थव्यवस्थाक जरूरत छल आर सही वक्त सेहो छल। आगा ओ कहला कि ई डेग बिल्कुल सोईच - बुझिके उठाओल गेल छल। ई निर्णय दिवाली के बाद लेल गेल, जखन देशभरी मे व्यापार जोर पकड़ने छल।

मोदी कहला कि स्वच्छ भारत के तरह नोटबंदीक डेग भारत क' (भ्रष्टाचार आर काला धन) से स्वच्छ करबाक लेल उठाओल गेल छल, जाहिक राजनीतिक जोखिम बुझैत छी। मुदा हमरा चुनावक चिंता नहि अछि। हमरा अप्पन देशक चिंता अछि। 

मोदी विपक्ष से 'मुख्यधारा मे जुड़ैत अप्पन देशक विकास मे योगदान करबाक आग्रह केलैन्ह।' आगा ओ कांग्रेस उपाध्यक्ष राहुल गांधी पर सेहो हुनक  भूकंप बला बयान पर निशाना साधलैन्ह। संसद के शीतकालीन सत्र मे विपक्षक विरोध के कारण काज नहि होयबाक ल'के कहला कि हम चर्चाक लेल तैयार छलहुँ, मुदा विपक्ष क' टीवी चैनल सभके बाइट्स देबाक बेसी चिंता छल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने