बिहार मे लालकेश्वर के बाद आब परमेश्वर केर बारी, रद्द भ' सकैत अछि BSSC केर परीक्षा

पटना। 08 फरवरी। बिहार मे टॉपर्स घोटाला के बाद बीएसएससी घोटाला सेहो सरकारक लेल सिरदर्द साबित भ' रहल अछि। शिक्षाक क्षेत्र मे एक के बाद एक घोटाला सरकारक मुसीवत बढ़ा देलन्हि अछि। एक मामलाक जांच पूरा नहि होयत अछि कि दोसर घोटाला सामना आइब जायत अछि।  बीएसएससी घोटाला सरकारक खूब फजीहत करेना अछि।

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के कड़ा रुखक बाद एसआईटी केर गठन कायल गेल अछि आ जांच प्रक्रिया सेहो शुरू कायल गेल अछि। एसआईटी टीम के शकक सुईया परमेश्वर राम पर अछि। परमेश्वर राम केर आवास पर छापामारी करि घंटों कागजात खंघारल गेल।

सूत्रक हवाले से भेटल जानकारी केर मुताबिक प्रश्न पत्र के 2 सेट केर मिलान करेबाक बाद सही पाओल गेल अछि आर संभव अछि कि जल्दे बीएसएससी के चेयरमैन सुधीर कुमार परीक्षा रद्द करबाक घोषणा क' सकैत छैथ।

बीएसएससी केर सचिव परमेश्वर राम के घर छापामारी केर दौरान ईओयू क' कैको महत्वपूर्ण कागजात भेटल अछि। परमेश्वर राम अपार संपत्तिक मालिक सेहो छैथ। परमेश्वर राम के आवास से 2 फ्लैट केर कागजात आर  ऐहिक अलावा कैको जमीन होयबाक साक्ष्य भेटल अछि। एहि बिंदु पर सेहो ईओयू काज क' रहल अछि। 

अपने के बता दी कि बिहार मे शिक्षाक क्षेत्र मे लगातार गिरावट आइब रहल अछि। एक के बाद एक घोटाला उजागर भ' रहल अछि। टॉपर्स घोटाला के आरोपी लालकेश्वर के बाद आब बारी परमेश्वर के अछि। बीएसएससी प्रश्न पत्र लीक मामला मे परमेश्वर राम केर भूमिका संदिग्ध अछि। सूत्र सँ भेटल जानकारी केर मुताबिक बीएसएससी केर परीक्षा रद्द होयबाक संभावना अछि आर एहि बाबत अंतिम फैसला जल्दे लेल जायत। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने