ग्रामीण सभक सतर्कता से राजधानी एक्सप्रेस दुर्घटनाग्रस्त होमै से बचल

खगड़िया। 08 जनवरी। ग्रामीण सभक  सतकर्ता से आय बुधवार भोर  खगड़िया मे डाउन दिल्ली - डिब्रूगढ़ राजधानी एक्सप्रेस दुर्घटनाग्रस्त होमै से बाल-बाल बचल। आय भोर साढ़े सात बजे के आसपास मानसी प्रखंड के बख्तियारपुर गाम लग एक एलआईसी एजेंट सुशील कुमार सिंह ट्रेनक टूटल पटरी देखते ऐहिक सूचना मानसी प्रखंड के प्रमुख बलवीर चांद क' देलैन्ह। बलवीर मानसी स्टेशन लगे रहैत छैथ आर ओ मानसी स्टेशन के आरपीएफ पोस्ट के फोन नंबर पर कॉल केलैन्ह तेँ कियो कुनु जबाब नहि देलैन्ह। फेर ओ दौड़ी के चांद आरपीएफ पोस्ट पहुंचला आर ओता मौजूद जवान क' पटरी टुटबाक जानकारी देलैन्ह। ताधरि13236 राजधानी ट्रेन बख्तियारपुर गाम लग आइब चुकल छल। 

जानकारी भेटते रेलवे के पिडब्ल्यूआई आर आरपीएफ के इंस्पेक्टर लोको पायलट क' फोन करि राजधानी ट्रेन क' बख्तियारपुर गाम लग रकबेलैन्ह।   ऐहिक बाद मौका पर पहुँच जायजा लेल गेल। ऐहिक बाद जुगल प्लेट लगाके  ट्रेन क' 13 मिनट देरी से रवाना कायल गेल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने