प्रश्नपत्र लीक मामला : BSSC सचिव परमेश्वर राम गिरफ्तार, परीक्षा भेल रद्द

पटना। 09 फरवरी। बिहार कर्मचारी चयन आयोग (बीएसएससी) के दुइ  चरण मे भेल परीक्षाक प्रश्नपत्र आ ओहिक उत्तर लीक होयबाक मामला मे बिहार कर्मचारी चयन आयोग के सचिव परमेश्वर राम क' गिरफ्तार कायल गेल अछि। जांच मे जुटल विशेष जांच टीम (SIT) कैल्ह बुधवार दिन हुनका गिरफ्तार केलैन्ह। एहि बीच रविवार दिन होमै बला परीक्षा रद्द क' देल गेल अछि।

इस मामला मे पुलिस आयोग के डेटा ऑपरेटर अविनाश कुमार क' सेहो  गिरफ्तार केलैन्ह। पटना प्रक्षेत्र के पुलिस महानिरीक्षक (आईजी) नैयर हसनैन खां कहला कि SIT मंगलवार दिन देर राति सचिव के आवास पर छापामारी केलैन्ह जाहि दौरान कैको अहम सुराग भेटबाक बाद हुनका आ  डेटा ऑपरेटर अविनाश कुमार क' गिरफ्तार क' लेल गेलैन्ह। आगा ओ कहला कि SIT पूरा तरहे सक्रिय अछि आर लगातार संदिग्ध सभसे पूछताछ कायल जे रहल अछि। एहि घटनाक्रमक बीच बीएसएससी के  रविवार दिन होमै बला परीक्षा रद्द क' देल गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने