मुंबई नगरपालिका चुनाव : कुनु पार्टीके बहुमत नहि, शिवसेना आओर बीजेपी के मिलबे परत हाथ

मुम्बई। 23 फरवरी। बृहन्मुंबई नगर निगम (BMC) चुनाव के लेल राह अलग करे बला शिवसेना आओर बीजेपी एहेन मोड़ पर ठाढ़ भ' गेल अछि, जता दुनु क' एक-दोसरक साथ के बिना निगम पर कब्ज़ा करब मुश्किल होयत। दुनु पार्टी क' निगम पर कब्ज़ा करबाक लेल या ते एक दोसरक हाथ थामे परत या फेर अप्पन कट्टर विरोधी कांग्रेस से हाथ मिलबे परत। बृहन्मुंबई नगर निगम (BMC) चुनाव मे कुनु भी पार्टी क' पूर्ण बहुमत नहि भेटल अछि। 

नगर निगम के 227 मे सँ 225 सीटक नतीजा मे शिवसेना 84 आओर बीजेपी 80 सीट पर जीत दर्ज केलन्हि अछि। बीजेपी केर मुंबई निकाय चुनाव मे ई सर्वश्रेष्ठ प्रदर्शन अछि। कांग्रेस 31, राज ठाकरे के महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना (एमएनएस) 7, एनसीपी 9 आओर आन सभ 7 सीट पर जीत हासिल केलन्हि अछि।

अपने के बता दी कि 227 सीट बला बीएमसी मे जादुई आंकड़ा 114 के अछि। ऐता धरी पहुँचब आब शिवसेना आओर बीजेपी के लेल अप्पन कट्टर विरोधी कांग्रेस के साथक बिना मुंबई नगर निगम पर कब्ज़ा केनाय असंभव अछि। बहुमत के लेल दुनु पार्टी के 30 से बेसी सिटक जरुरत अछि। जे कांग्रेस लग अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने