नियुक्ति मामलामे फसल जनता दल (यू) विधायक क' पार्टी देखेलैन्ह बाहरक राह, भेला निलंबित

पटना। 23 फरवरी। बिहार मे सत्ताधारी महागठबंधन मे शामिल जनता दल (युनाइटेड) बिहार कृषि विश्वविद्यालय मे सहायक प्राध्यापक नियुक्ति मामले मे फसल विधायक मेवालाल चौधरी क' पार्टी से निलंबित क' देलनि अछि। मेवालाल चौधरी पर बिहार कृषि विश्वविद्यालय, सबौर मे कुलपति रहबाक दौरान सहायक प्राध्यापक के पद पर भेल नियुक्ति मामला मे गड़बड़ी करबाक आरोप लागल अछि। 

जद (यू) के प्रदेश प्रवक्ता संजय सिंह संवाददाता सभके बतौलन्हि कि पार्टी के अध्यक्ष नीतीश कुमार नैतिकता केर आधार पर विधायक मेवालाल चौधरी क' पार्टी से निलंबित क' देलनि अछि।

उल्लेखनीय अछि कि सबौर कृषि विश्वविद्यालय के कुलसचिव अशोक कुमार के लिखित बयानक आधार पर पूर्व कुलपति मेवालाल चौधरी पर प्राध्यापक नियुक्ति मे गड़बड़ी करबाक आरोप मे भागलपुर के सबौर थाना मे मंगलवार दिन एक प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल छल। चौधरी 2010 से 2015 के बीच कृषि विश्वविद्यालय के कुलपति रही चुकल छला। ओ वर्तमान मे मुंगेर जिलाक तारापुर से जद (यू) विधायक छला। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने