उद्घाटन काल से बंद पड़ल अछि अस्पताल, आब बनल जुआरि सभक अड्डा

दरभंगा। 23 फरवरी। मिथिलाक सबसे पैघ अस्पताल डीएमसीएच मे विभागीय लापरवाही के कारण विगत 8 बरख से 30 बेड बला साइकेटिक अस्पताल जते बैनके तैयार अछि। ओतहि आजुक तारीख मे उक्त भवन मे मरीज सभक लेल एक बेडक व्यवस्था ठीक से नहि अछि। एतबे नहि, बदहालीक ई स्थिति अछि कि उक्त भवन के कैंपस जुआरि सभक अड्डा बैन गेल अछि। 

संबंधित विभाग के कुनु अधिकारी उक्त भवन दिस देखा नहि चाहैत अछि।  अपने के बता दी कि एहि अस्पतालक उद्घाटन तत्कालिक भवन निर्माण मंत्री छेदी पासवान 18 दिसंबर, 2008 मे केना छला। मुदा, उक्त अस्पताल मे एखन धरी स्वास्थ्य व्यवस्था बहाल नहि भेल अछि। 

उक्त मनोचिकित्सा अस्पताल मे डीएमसीएच अंतर्गतगत एआरटी केन्द्र सहित एक आन चिकित्सकीय विभाग क' शिफ्ट करबाक छल। मुदा, विभागीय लापरवाही केर कारण एखन धरी एआरटी केन्द्र तें छोड़ू साइकेटिक अस्पताल सेहो चालू नहि भेल अछि। ओतहि आय डीएमसीएच के 92मा स्थापना दिवस के मौक़ा पर लाखों टाका खर्च कायल जे रहल अछि, मुदा एकरा देखै बला कियो नहि छैथ।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने