नाबालिग युवती केर अपहरण, पिता जतौलन्हि धर्मांतरण केर आसंका

सहरसा। 25 फरवरी। सदर थाना क्षेत्र के गांधी पथ मे एक नाबालिग युवती  के अपहरण केर मामला प्रकाश मे आयल अछि। गांधी पथ वार्ड संख्या 8 निवासी देवशंकर चौधरी अप्पन  नाबालिग पुत्री के अपहरण केर मामला सदर थाना मे दर्ज करौलन्हि अछि। 

देल गेल आवेदन मे पीड़ित पिता बतौलन्हि कि गुरुवार संध्या सात बजे के करीब गांधी पथ वार्ड संख्या 8 निवासी मो. सिकंदर, मो. हुसैन, मो. शकील व मो. हुसैन आओर शकील केर पत्नी सहित चारि-पांच केर संख्या मे अज्ञात लोग सभ अचानक हुनका घर पहुँचल आओर दरवाजा खोलबाक लेल आवाज देलैन्ह। 

दरवाजा खुलते सभ जबरदस्ती घर मे घुईस मो. सिकंदर, मो. शकील व मो. हुसैन केर पत्नी हुनकर नाबालिग बेटी प्रिया कुमारी उर्फ स्टेफी क' घर से बाहर ल' गेलनि। एहि बातक विरोध करबा पर मो. शकील पिस्तौल दिखा धमकी दैत कहलनि कि हल्ला हल्ला करबा पर गोली माइर देब। संगहि जायत - जायत आरोपी धमक दैत कहलनि कि मुकदमा करबा पर पूरा परिवार केर हत्या करि लाश के सेहो पता नहि चलल देल जायत। 

देल गेल आवेदन मे पीड़ित पिता बतौलन्हि कि किछ दिन पहिनो मो. सिकंदर हुनकर नाबालिग पुत्री संग स्कूल जेबाक क्रम मे छेड़छाड़ केना छल आओर उल्टा परिजन सभके गंभीर परिणाम भुगतबाक धमकी देना छल। पीड़ित पिता आरोपि सभ पर हुनकर नाबालिग लड़की के साथ जबरन धर्म परिवर्तन करि मो. सिकंदर संग विवाह करबाक आसंका जतौलन्हि अछि। पीड़ित पिता आवेदन द' आरोपि सभक विरूद्ध कड़ा कानूनी कारवाई करि न्याय केर गुहार लगौलन्हि अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने