‘नमामि गंगे’ प्रॉजेक्ट क' गति देबाक लेल सचिव सभक समिति केर गठन

नई दिल्ली। 10 फरवरी। नमामि गंगे प्रॉजेक्ट क' रफ्तार देबाक लेल  सरकार सचिव सभक एक समितिक गठन कएलन्हि अछि। ई जानकारी दैत जल संसाधन मत्री उमा भारती कहली कि गंगा क' निर्मल बनायब  सरकारक प्राथमिकता अछि। एहि समिति मे उमा भारती के मंत्रालय के सचिवक संगहि पर्यावरण आर पेयजल एवं स्वच्छता मंत्रालय के सचिव शामिल हेता। ऐहिक समिति केर हर पखवारा एक मीटिंग होयत। 

उमा भारती कहली कि ई समिति गंगाक साफ सफाई लेल कायल जे रहल  प्रयास केर निगरानी करत आर काजक प्रगति केर समीक्षा करत। उमा भारती कहली कि आबै बला बोर्ड व आन परीक्षा सभक बाद गंगा कातक तमाम कॉलेज सभक बच्चा सभके नमामि गंगे कार्यक्रम से जोड़ल जायत।  ओ एहि बात पर नाराजगी देखेली कि उत्तराखंड आर यूपी केर सरकार गंगा सँ जुड़ल काजक लेल एनओसी देबा मे देरी क' रहल अछि।  
 
आगा ओ कहली कि एहीसे काज मे देरी भ' रहल अछि। नमामि गंगे प्रोग्राम के उपलब्धिक जिक्र करैत ओ कहली कि गंगा कातक 4291 गाम मे से 2789 गाम क' खुला मे शौच केर समस्या से मुक्त क' देल गेल अछि।  एहि सभ गाम मे करीब 9 लाख शौचालय केर निर्माण कायल गेल अछि। उमा भारती कहली कि आबै बला मॉनसून सीजन केरदौरान गंगा कात पौधरोपण काजक शुरुआत कायल जायत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने