मुजफ्फरपुर मे सड़क पर मौतक तांडव, 2 अलग - अलग सड़क दुर्घटना मे 10 गोटाक मौत

मुजफ्फरपुर। 10 फरवरी। मुजफ्फरपुर मे आय 2 अलग - अलग सड़क दुर्घटना मे 10 लोगक मौत केर खबैर अछि। पहली खबैर मुजफ्फरपुर - मोतिहारी मुख्य मार्ग के अछि जता एक अज्ञात गाड़ी बाइक सवार 3 लोग क' दाबी देलैन्ह। बाइक सवार तीनो के मौत घटनास्थहले पर भ' गेलैन्ह। दोसर घटना झपहा मे घटल जता ट्रक आ ऑटो केर टक्कर मे 7 लोगक मौत भ' गेलैन्ह। 

पहिल घटना NH28 पर मीनापुर थाना क्षेत्र के पानापुर ओपी के पखनाहा गाम लग भोर 11:15 बजे घटल। प्राप्त जानकारीक मुताबिक, तीन युवक एक बाइक पर सवार भ' मोतीपुर से कांटी दिस जायत छलाह कि एक गाड़ी  बाइक मे धक्का मारलैन्ह जाहिसे तीनो युवक बड़का गाड़ी के नीचा आबि गेला। गाड़ी ओहि तीनो युवक के डाबी के परा गेल। मृत युवक सभक पहचान कांटी नगर पंचायत वार्ड संख्या- 3 के स्टेशन टोला के मुन्ना राय, शिवनाथ राय व भरत राय के रूप मे भेल अछि। 

दोसर घटना अहियापुर थाना क्षेत्र भिखनपुर मे दुपहर 1:00 बजे घटल। बताओल जे रहल अछि कि मुजफ्फरपुर से मीनापुर के तुर्की जे रहल  सवारी सँ भरल ऑटो मे विपरीत दिशा से आइब रहल ट्रक सीधा टकरा गेल। एहि सीधी टक्कर मे ऑटो के परखच्चा उड़ गेल। एहि दुर्घटना मे ऑटो मे सवार 4 लोगक ओतहिये मौत भ' गेलैन्ह। तीन केर मौत एसकेएमसीएच मे भ' गेलैन्ह। एहि गुर्घटना मे आधा दर्जन लोग गंभीर रूप से घायल बताओल जे रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने