सड़क हादसा मे मासूम जख्मी, आक्रोशि लोग सभ कार मे लगेलैन्ह आगि

गया। 20 फरवरी। सिविल लाइन थाना क्षेत्र के गांधी मैदान लग बेकाबू कार के चपेट मे अएला से एक बच्चा गंभीर रुपे जख्मी भ' गेला। स्थानीय लोग सभ बच्चा के तुरंत अस्पताल ल' गेलैन्ह। ओतहि, नाराज लोग सभ  कार चालक क' पकैड़ खूब पिटाई केलैन्ह आओर गाड़ी के आगिक हवाला क' देलैन्ह।

बताओल जे रहल अछि कि करिमगंज मे मदरसा के बच्चा गांधी मैदान घुमबाक लेल आयल छल। जखन ओ सभ वापस जायत छल ओहि घरी तेज रफ्तार से आइब रहल कार एक बच्चा के कुचैल देलैन्ह। जाहिमे ओ  बुरी तरहे जख्मी भ' गेला। फिलहाल बच्चा के इलाज अस्पताल मे चैल रहल अछि।

मौक़ा पर पहुंचल दमकल के गाड़ी आगि के मिझेलैन्ह। पुलिस लोग सभके समझा बुझा तामस के शांत केलैन्ह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ