जख्मी ग्रामीण सभ कहला कि लोग कदाने नदी कात टहलैत छला की एक महिला सभके रोकलैन्ह। महिला कहली कि उम्हर नहि जाऊ, उम्हर बाघ जोका देखै बला एक जंगली जानवर घूईम रहल अछि। ई सुनला पर लोग उत्सुकतावश देखबाक लेल उम्हर जे लागला। जहिना सभ आगू बढ़ला कि तेंदुआ सभ पर हमला क' देलैन्ह। कुनु तरहे लोग जान बचा ओता से भागला। ऐहिक खबैर जखन आन ग्रामीण सभके भेटल, ओहो सभ देखबाक लेल पहुंचला जता एक दर्जन से बेसी लोग के घायल करि तेंदुआ गहूमक खेत मे नुका गेल।
एहि घटनाक सूचना पर वन विभाग के टीम डीएफओ बीपी गुप्ता, रेंजर इंदर राम केर नेतृत्व मे ओता पहुँचल। एम्हर मनियारी, फकुली सहित कैको थाना के पुलिस सेहो घटना स्थल पर पहुंचला। पटना चिडिय़ाघर से ट्रैकुलाइजर गन के संग विशेषज्ञ बुद्धन मियां केर नेतृत्व मे सात सदस्यीय दल सांझ 4 बजे पहुँचल। फेर तेंदुआ के पकड़बाक अभियान तेज भेल।
वन विभाग पटना से आयल विशेषज्ञ सभक टीम ग्रामीण सभक सहयोग से जालक सहारे गहूमक खेत मे घुसी तेंदुआ के पकड़बाक कार्रवाई तेज केलैन्ह। जल्दे सफलता हाथ लागल, लेकिन तेंदुआ के दहाड़क डर से ग्रामीण सभ जाल छोईड़ पड़ा गेला, जहिसे तेंदुआ भाईग गेल। ओनाकि, किछ देर बाद करीब पांच बजे दुबारा तेंदुआ पकड़ मे आयल। बताओल जे रहल अछि कि पकड़ मे अएबाक बादो तेंदुआ कैको पर हमला केलैन्ह। बाद मे वन विभाग के कर्मि सभ तेंदुआ के बेहोशी के सुईया देलैन्ह।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।