एहि आयोजित कार्यक्रमक बिच मे मिथिलाक सुप्रसिद्ध गायक आ युवा सभक सुपर स्टार विकाश झा स्टेज पर ओहो मे माइक पर एक लोकल कलाकार नव गायिका दिया जी के ई कहैत अपमान केलैन्ह जे अहाँके गयबाक सहूर नहि अछि। अहाँके कार्यक्रम मे आमंत्रित नहि कायल गेल अछि। अहाँ स्टेज से नीचा जाऊ।
भेल ई छल जे कार्यक्रमक बिच मे गायिका दिया जी आयोजक से निहोरा केलि की हुनको एक गीत गयबाक मौका देल जाय। जाहि पर आयोजक हुनका एक गीत गयबाक मौक़ा देलैन्ह। जखन दिया के गीत खत्म भ' गेलैन्ह ते ओ एक आर गीत गयबाक असफल प्रयास केलीह। जाहि पर उक्त घटना घटल।
एहि मे हम अपने के कहे चाहब की कुनु भी कार्यक्रम सिर्फ टाका खर्च केला सँ सफल नहि होयत अछि। कार्यक्रम के सफल बनेबाक लेल एक सफल स्टेज संचालकक जरुरत होयत अछि, जाहिक एहि कार्यक्रम मे कमी देखल गेल। कार्यक्रम के शुरुआते मे आयोजक श्री कमल झा स्टेज संचालन केर जिमेवारी सेहो विकाश झाजी के द' देलैन्ह। जे अहि एहि कार्यक्रम केर संचालन करू।
एहिठाम गप इ उठैत अछि कुनु कार्यक्रम के सर्वेसर्वा यदि अहाँ छी तेँ की अहाँ भरल आयोजन मे किनको अपमानित क' देब ? हम मानैत छी दिया जी के सुपर स्टार सभक बिच अप्पन एक गीत रखबाक मौका भेटलैन्ह जे हुनका लेल सौभाग्य केर गप कहल जे सकैछ। हुनका से गलती भेलैन्ह जे ओ एक आर गीत गयबाक निहोरा केलीह। मुदा, एकर माने इ नहि ने की हुनका सार्वजानिक रुपे अपमानित कायल जाय ?
विकाश झा के ई गप बुझबाक चाही कि ओहो शुरुआते दौर मे सुपर स्टार नहि बैन गेला। ओहो अप्पन शुरुआत अहिना कुनु कार्यक्रम से केना हेता। आय मैथिली गायक - गायिका केर मांग एतेक बढ़ल कि एक कार्यक्रम केर 50000 से 100000 तक जे लोकप्रिय कलाकार सभ ल' रहल छैथ की ओ एतेक लोकप्रिय कैसेट सीडी बेच के भेला ? आय कियो यदि लोकप्रिय भेला तेँ हुनका लोकप्रिय बनेनिहार दर्शक आर स्टेज अछि। ओहि स्टेज पर कुनू नवा कलाकार चाहे ओ केहनो प्रस्तुति प्रस्तुत केलीह विकाश झा एहेन लोकप्रिय कलाकार के हुनक मनोबल बढेबाक चाही नहि की सर्वजनिक रुपे अपमान करबाक चाही।
विकाश झा जे केला ओ निंदनीय अछि, जाहिक अंदाजा हुनका दर्शक सभक बिच सँ आओल आवाज "किनको एतेक अपमान जून करु" से लागल हेतैन्ह। विकाश झा के चाही रहे कि दिया के कहतीयथिन देखु समय केर अभाव छैक अहाँ अप्पन एक प्रस्तुति द' चुकल छी आब दोसरो के मौक़ा देल जाऊ, नहि कि अहाँके गयबाक सहूर नहि अछि। अहाँके कार्यक्रम मे आमंत्रित नहि कायल गेल अछि। अहाँ स्टेज से नीचा जाऊ।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।