पुलिस केर मुताबिक़, प्रश्नपत्र लीक होयबाक मामला पर परीक्षार्थि सभ कर्मचारी चयन आयोग कार्यालय केर घेराव केलैन्ह। एहि दौरान कैको बेर छात्र व पुलिस मे झड़प केर स्थिति उत्पन्न भ' गेल छल। छात्र सभ परीक्षा क' रद्द करबाक संगे संग बीएसएससी केर अध्यक्ष आर सचिव क' हटेबाक मांग क' रहल छल। एहि क्रम मे कार्यालय आयल बीएसएससी के सचिव परमेश्वर राम क' तमसायल छात्र सभक कोपभाजन बने पड़लैन्ह।
छात्र सभ हुनका संग सेहो बदसलूकी आ धक्का-मुक्की केलैन्ह। पुलिस के जवान सचिव क' छात्र सभक बीच सँ निकाली कुनु तरहे कार्यालय तक पहुंचेलैन्ह। छात्र सभक आरोप छलैन्ह कि बीएसएससी केर परीक्षा विवाद मे रहल अछि।छात्र सभक भविष्य से खिलवाड़ कायल गेल अछि। एहेन परीक्षा मे मेधावी छात्र सभके मानसिक आघात पहुँचल अछि।
छात्र सभक कहब अछि कि परीक्षा के पहिने प्रश्न-पत्र बाहर आइब गेल आर सचिव कही रहल छैथ जे परीक्षा मे कुनु कदाचार नहि भेल। आरोप अछि कि रविवार के बीएसएससी के परीक्षाक पहिने प्रश्नपत्र आर ओहिक उत्तर सोशल मीडिया पर वायरल भ' गेल छल। परीक्षार्थि सभ परीक्षा देबाक बाद सोशल मीडिया पर वायरल प्रश्न-पत्रक एक सेट क' सही बतौलैन्ह। परीक्षार्थि सभक कहब अछि कि एहिसेट के प्रश्न परीक्षा मे पुछल गेल छल।
राजधानी के 72 केंद्रक अलावा, राज्य के 742 केंद्र पर बीएसएससी केर परीक्षा आयोजित कायल गेल छल। एम्हर, सचिव परमेश्वर राम प्रश्न-पत्र लीक होयबाक सूचना के भ्रामक आ गलत बतौलैन्ह। ओ कहला कि राज्यभरि से आयोग क' प्रश्न लीक होयबाक कुनु सूचना नहि भेटल अछि। सभ जगह शांतिपूर्ण परीक्षा केर सूचना अछि। कुनु भी जिला से प्रश्न लीक होयबाक सूचना नहि भेटल अछि। गौरतलब अछि कि आयोग इंटर (12वीं) स्तरीय पदक लेल प्रारंभिक परीक्षा क' 4 दिनमे लेबाक घोषणा केलन्हि अछि। 2 परीक्षा 29 जनवरी आ 5 फरवरी क' भ' चुकल अछि, जखन कि आन परीक्षा 19 फरवरी आ 26 फरवरी 2017 क' होयबाक अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।