एमएलसी नूतन सिंह शहीद संजीव के परिजन क' देलन्हि सांत्वना

सहरसा। 23 जनवरी। भारत - पाक सीमा पर शहीद भेल तिलाठी गाम निवासी शहीद संजीव कुमार के परिजन क' सांत्वना देबाक लेल कैल्ह सांझ एमएलसी नूतन सिंह, छातापुर के विधायक नीरज कुमार बबलू सिंह  अप्पन कार्यकर्ता सभक संग पहुँचलन्हि।

एहि दौरान श्रीमति सिंह लोग सभसे कहली कि शहीद संजीव केर दाह - संस्कार बिहार सरकार के मंत्री केर अगुवाई मे होयबाक चाही रहे लेकिन नहि भ' सकल। एतबे नहि आय एक हफ्ता बितलाक बादो बिहार सरकार के कुनु मंत्री आर नहिये क्षेत्र के विधायक संजीव के घर पहुंचला। ई अत्यंत दुःखक गप अछि। एमएलसी नूतन सिंह सरकारी मदद मे हर संभव सहयोग करबाक आश्वासन शहीद के परिजन सभके देलन्हि। ओहिठाम  छातापुर के विधायक नीरज कुमार बबलू, पूर्व विधायक सुरेन्द्र प्रसाद यादव, पूर्व मुखिया संजीव सिंह, पहाड़पुर के पूर्व मुखिया रामेश्वर यादव, राम सागर यादव एवं संजीव के पिता रामविलास यादव, तिलाठी के समाजसेवी राजेश्वर यादव, अब्दुल सत्तार आलम, गुड्डू, सुभाष कुमार सिंह  सुधांशु आदि उपस्थित छलाह। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने