पर्यटन मंत्री कएलन्हि कैलाशपुरी मेला केर उद्घाटन



सुपौल। 13 जनवरी।  पिपरा प्रखंड स्थित पथरा उत्तर पंचायत के कैलाशपुरी मे सात दिवसीय मेला केर उद्घाटन बिहार सरकार के पर्यटन मंत्री अनिता देवी व अल्पसंख्यक कल्याण मंत्री प्रो. अब्दुल गफूर दीप प्रज्ज्वलित करि कएलन्हि। कार्यक्रम के सम्बोधित करैत मंत्री अनिता देवी कहली कि मेला हमरा सभक सांस्कृतिक धरोहर अछि। मेला सँ आपसी भाईचारा आर मेल मिलाप बढ़ैत अछि। 

मंत्री लोग सभसे मेला के लुत्फ उठेबाक बात कहली। ओ लोग सभके बिहार सरकार केर सात निश्चय योजना क' सफल बनेबाक अपील करैत कहली कि जहियासे महागठबंधन केर सरकार शराबबंदी केर घोषणा केलन्हि अछि। ताहियासे बिहार के महिला सभ खुशहाल जीवन जी रहल छथि आर लोग सभ सुखक जिनगी जी रहल छैथ। आगा ओ कहली कि सरकार एहेन बच्चा सभक लेल स्टूडेंट्स क्रेडिट कार्ड केर व्यवस्था केलन्हि अछि जे आर्थिक रूप से कमजोर अछि। हुनका लेल सरकार द्वारा 4 लाख टाका केर सहायता देल जे रहल अछि। सरकार लोग सभके शौचालय बनेबाक लेल 12 हजार टाका प्रोत्साहन राशि सेहो दे रहल अछि। एहिलेल सभ गोटा घर बनबै से पहिने शौचालय बनबी आर स्वच्छ बिहार केर निर्माण करि। 

ओतहि अल्पसंख्यक कल्याण मंत्री प्रो. अब्दुल गफूर कहला कि सौहार्द स्नेह परस्पर संबंध केर नाम मेला अछि। ओ मेला के जमीन आर सुपौल पिपरा मुख्य मार्ग से केशवनगर जोल्हिनिया दिस जाय बला अतिक्रमित जमीन क' अविलंब खाली करबाक बात कहलनि। ओतहि पिपरा विधायक यदुवंश कुमार यादव कहलनि कि जे विषहरी मंदिर मे मोन से दुआ माँगैत छैथ हुनकर मनोकामनाएं पूरा होयत छैन्ह। सोनपुर के बाद बिहारक सबसे बड़का मेला एहिठाम लागैत छल, मुदा कोसी के कहर मेलाक अस्तित्व मेटा देलन्हि। ओ सम्मानित मंत्री अनिता देवी से मेला क' पर्यटन केर दर्जा देबाक मांग कएलन्हि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने