चैनपुर काली स्थान मे लोकजनशक्ति पार्टी केर बैसार, पार्टीके मजबूत बनेबा पर भेल चर्चा

सहरसा। 13 जनवरी। कैल्ह गुरुवार दिन ग्राम पंचायत चैनपुर काली स्थान मे लोकजनशक्ति पार्टी केर बैसार भेल। बैसार केर अध्यक्षता कहरा प्रखंड अध्यक्ष बुद्धिनाथ झा कएलन्हि। एहि मौका पर लोकजनशक्ति पार्टी केर विधान पार्षद सह क्षेत्रीय प्रभारी नूतन सिंह पार्टी के सभ पदाधिकारी, पंचायत अध्यक्ष सभसे पार्टीके मजबूत करबाक लेल काज करबाक आग्रह कएलन्हि।

सभ पंचायत सँ आयल अध्यक्ष से ओ बेरा - बेरी से संगठन केर जानकारी लेलिह। संगहि उच्च विद्यालय चैनपुर, शशिकला मध्य विद्यालय पहुंच स्कूल केर व्यवस्था पर नाराजगी जतबैत प्रधानाचार्य एवं सभ शिक्षक लोकनि के स्कूल संचालन मे कुनु तरहक गड़बड़ी नहि करबाक हिदायत देलीह। बैसार मे उपस्थित जिला अध्यक्ष आशुतोष कुमार झा, अकील अहमद, राजेंद्र यादव, साहेब पासवान, खुशीलाल यादव, निर्मल झा, प्रशांत ठाकुर, लता देवी, मनी ठाकुर, प्रदीप पासवान, राजवली झा, मुकेश कुमार सिंह, संतोष कुमार, बन्धु, राजेन्द्र मुखिया, प्रभु शर्मा, संजीव पासवान, टुनटुन पासवान सेहो संगठन पर चर्चा कएलन्हि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने