मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि कि सात निश्चय मे एक निश्चय महिला सभक लेल छल। एहिमे सरकारी नौकरि मे महिला सभके 35 प्रतिशत आरक्षण देबाक बात छल। सरकार बनबाक 2 माह के भितरे महिला सभके आरक्षण देबाक निर्णय लेल गेल आर ओहिके लागू सेहो क' देल गेल। 2 निश्चय युवा सभसे संबंधित छल। आर्थिक हल, युवा सभक बल के तहत पांच स्किम क' हाथ मे लेल गेल, जाहिमे बारहवीं पास विद्यार्थि सभके आगा के पढ़ाई लेल 4 लाख टाका केर सीमा तकके स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड उपलब्ध कराओल जायत। युवा सभके उद्यम शुरू करबाक लेल नीति बनेबाक बात कहैत मुख्यमंत्री कहलनि कि एहेन उद्यमि सभक लेल पांच सौ करोड़ टाका के वेंचर कैपिलट फंड बनाओल गेल अछि।
मुख्यमंत्री जानकारी देलन्हि कि बिहार मे उच्च शिक्षा मे जाय बला छात्र-छात्रा सभक संख्या मात्र तेरह प्रतिशत अछि। आर्थिक तंगी ऐहिक मुख्य कारण रहल अछि। सरकार केर संकल्प अछि कि ई संख्या 35-40 प्रतिशत तक पहुंचे। संगहि ओ कहला कि रोजगार केर तलाश मे लागल 20 से 25 बरख के युवा सभके 2 बरख तक एक हजार टाका केर स्वयं सहायता भत्ता देल जायत, ताकि ओ बगैर अप्पन माता-पिता पर आर्थिक बोझ देना रोजगार के तलाश क' सकैथ।
एहि अवसर पर ओ कुशल युवा कार्यक्रम के जिक्र करैत कहलनि कि ऐहिक अंतर्गत हर इच्छुक युवा क' कम्प्यूटर सहित अंग्रेजी बाजबा व व्यवहार कौशल सिखाओल जे रहल अछि। सूबे के हर एक सरकारी कॉलेज व विश्वविद्यालय मे मुफ्त हाई-फाई केर सुविधा एहि बरख के फरवरी माह के अंत तक देबाक बात सेहो कहलनि। आओ ओ युवा सभसे अपील करैत कहलनि कि ई सुविधा पढ़ाई करबाक लेल देल जायत। ऐहिक गलत उपयोग करि समय बर्बाद नहि करब।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि कि प्रदेश मे कॉलेज केर कमी अछि। एहिके ध्यान मे राखैत बिहार के हर जिला सहित खगडिया मे सेहो पॉलिटेक्निक संस्थान आर महिला सभक लेल आईटीआई संस्थान खुजत। ओतहि सूबे के हर एक अनुमंडल मे आईटीआई व एएनएम स्कूल खोलबाक बात सेहो केलन्हि। मौक़ा पर बिहार मे पांच नवा मेडिकल कॉलेज खोलबाक बात सेहो मुख्यमंत्री द्वारा कायल गेल। एहि बीच भीड से मेडिकल कॉलेज लेल खगडिया क' सेहो चुनबाक आवाज़ आयल लेकिन ओ भाषण के तेज आवाज मे दबी के रहिगेल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हर मेडिकल कॉलेज मे नर्सिंग कॉलेज खोलबाक घोषणा सेहो केलन्हि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।