अप्पन संबोधन मे ओ कहलन्हि कि सरकारी सेवा मे निर्धारित उम्र सीमा मे सेवानिवृत होयब तय अछि। ओहि सेवा के क्रम मे विभागीय सेवा एवं ग्राहक सभक सेवा सरकारी सेवक सभक मूल मंत्र होयत अछि। सेवाकाल मे अप्पन कर्तव्य आर ईमानदारी के संग- संग विभाग एवं ग्राहक सभक सेवा देनाय बिना दाग लागल सेवानिवृत होयब आजुक दिन मे ओहि व्यक्ति से पैघ कुनु व्यक्ति नहि भ' सकैत अछि। सेवाकाल मे विभाग एवं ग्राहक सभक बीच केर कड़ी केर काम शाखा प्रबंधक करैत रहला अछि। पीओ श्रीकांत कुमार कहलनि कि बैंकिंग सेवा मे बैंक मे कार्यरत पदाधिकारी एवं कर्मी अप्पन - अप्पन काज केर प्रति सजग अछि। समारोह मे साव कुमार गोंद, विजय कुमार , श्रीराम चौधरी, राजेन्द्र प्रताप , धीरेन्द्र प्रताप , विपिन कुमार , तारानंद , रमण कुमार सिंह, बबलू कुमार , कुमार आनंद, रत्नेश्वर लाल दास, नीतीश कुमार सहित बहुतो रास ग्रामीण मौजूद छलाह।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।