पश्चिम चंपारण मे दबंग सभ 10 घर के आगिक हवाले केलन्हि

बेतिया। 02 जनवरी। पश्चिम चंपारण जिला के नौतन थाना क्षेत्र मे कैल्ह देर राति कथित दबंग सभ दस घर मे आगि लगा देलन्हि जाहिसे लाखों केर संपत्ति आर मवेशि केर जरीके मौत भ' गेल।

पुलिस सूत्र बतौलन्हि कि शिवराजपुर गाम मे देर राति किछ लोग पेट्रोल छिट दस घर के ज़रा देलन्हि। एहि सभ घर मे नगद , कपड़ा आर आन सामान के अलावा दस मवेशि के सेहो जरला से मरबाक सूचना अछि।

ग्रामीण सभक सहयोग से आगि पर काबू पाओल गेल। एहि सिलसिला मे पीड़ित ग्रामीण सभक बयान पर पारस यादव आर हुनकर समर्थक सभक  खिलाफ संबंधित थाना मे मामला दर्ज कराओल गेल अछि। पुलिस मामला केर छानबीन क' रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने