पूर्णिया। 02 जनवरी। नगर निगम केर मेयर विभा कुमारी कहली कि पूर्णिया के सभ वार्ड के हर गली मे महानगर केर तर्ज मे ड्रेनेज यानि अंडरग्राउंड नाला बनेबाक तैयारी मे एक मास्टर प्लान तैयार कायल जे रहक अछि। जाहिक काज एहि माह जनवरी 2017 मे शुरू करबाक योजना अछि।
ऐहिक संगे सभ गली मे स्ट्रीट लाइट आर शुद्ध पैनक सेहो व्यवस्था सुनिश्चित करबाक योजना अछि। एखन शहर के सभ वार्ड मे पी सी सी सड़क केर निर्माण काज तेजी से चैल रहल अछि। सबसे पैघ गप नाला केर निर्माण एक नव मास्टर प्लान के तहत कायल जायत जाहिसे उम्मीद अछि कि पूर्णिया क' सालक पहिल महीना मे सजाओल जे सकैत अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।