पांच सूत्री मांग लेल मिथिला विकास संघ के एक दिवसीय धरना

दरभंगा। 20 जनवरी। मिथिला विकास संघ दिस से निर्धारित कार्यक्रम के तहत पांच सूत्री मांग लेल कैल्ह गुरूवार दिन दरभंगा जंक्शन पर एक दिवसीय धरना प्रदर्शन कायल गेल। जाहिक नेतृत्व संघ के संयोजक सुजीत कुमार आचार्य ने किया केलन्हि। 

सुजीत कुमार आचार्य कहलनि कि मिथिलांचल के दर्जनों रेलवे प्रोजेक्ट लेल एक दिस जते रेलवे विभाग उदासीन बनल अछि। ओतहि दोसर दिस मिथिलांचल के तमाम जनप्रतिनिधि सेहो मिथिलांचल के रेल लाइन दोहरीकरण के लेल चिंतित नजर नहि देखार द' रहल छैथ। ओतहि धरना प्रदर्शन के बाद एक सभा केर आयोजन मौका पर कायल गेल जाहिक अध्यक्षता जीवन झा केलन्हि। सभा मे संघ के कार्यकर्ता सभ कहलनि कि कोसी महासेतु रेल लाइन, जयनगर व नरकटियागंज तक दोहरी रेल लाइन, सकरी – निर्मली रेल लाइन, पटना – दरभंगा सुपफास्ट ट्रेन केर  मांग सहित यात्री सुविधा गृह पर अवैध कब्ज़ा क' हटेबाक मांग मुख्य रूप से उदय शंकर मिश्र, वरूण कुमार झा, विपिन कुमार चौधरी, राम बाबू चौपाल, बालेन्दु झा बालाजी केलन्हि। संगहि संघ के 11 सदस्यीय ठीम रेल मंत्री के नाम 5 सूत्री मांग पत्र स्टेशन प्रबंधक क' सौपलन्हि। एहि मौका पर रोशन झा, ज्ञानेश्वर राय, मिथिलेश सहनी, विकाश आनंद, शशि झा सहित दर्जनों कार्यकर्ता मौजूद छला। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने