
सुपौल। 20 जनवरी। कानपुर रेल हादसा के तार नेपाल मे जुड़ल आइएसआइ से होयबाक बाद भारत - नेपाल सीमा पर सुरक्षा बढ़ाओल गेल अछि। ओतहि 21 जनवरी क' होमै बला पूरा बिहार मे मानव श्रृंखला मे कउनु तरहक बाधा उत्पन्न नहि हुवे आर 26 जनवरी केर तैयारी के मद्देनजर एसएसबी 45 वीं बटालियन के सभ सीमा चेक पोस्ट एवं नाका पर सुरक्षा बढाओल गेल अछि।
जवान सभक संग महिला जवान क' सेहो तैनात कायल गेल अछि। एहि बाबत पुछला परएसएसबी 45वीं बटालियन वीरपुर के सेनानायक राम अवतार भलोठिया कहला कि जवान ओनहियो अलर्ट रहैत अछि। बावजूद ऐहिक हमसभ सतर्क छी। 24 घंटा जवान सीमा पर आबै - जायबला के जांच ते कैरते अछि ऐहिक संगे संग फुटपाथ व सीमा से जुड़ल हर पगडंडि पर जवान सभ पैनी नजर राखैत अछि।
सुरक्षा व्यवस्था एहितरहे तेज क' देल गेल अछि कि परिंदा सेहो पर नहि मैर सकैत अछि। ओतहि भारत - नेपाल सीमा के भीमनगर महावीर चौक स्थित चेक पोस्ट पर तैनात एसएसबी 45 वीं बटालियन के महिला जवान पूजा कुमारी व जवान जितेंद्र कुमार कहलनि कि हम सभ हरेक वाहन के संगे संग आबै - जाय बला लोग सभक आधुनिक संयंत्र व मेटल डिटेक्टर से जांच के बाद हुनकर पहचान पत्र देखि हुनका आउट पोस्ट से अएबाक जा जएबाक अनुमबती दैत छी।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।