वरिष्ठ पत्रकार भाग्य नारायण झा नहि रहला, पत्रकारिता जगत मे शोक

दरभंगा। 11 जनवरी। वरिष्ठ पत्रकार भाग्य नारायण झा केर हैदराबाद मे निधन भ' देलैन्ह। ओ 76 बरखक छलाह। भाग्य नारायण झा पत्रकारिता केर शुरुआत 1960 मे आर्यावर्त हिंदी से केना छलाह। जाहिक बाद ओ  हिंदुस्तान आर दैनिक जागरण मे बहुत दिन धरी काज केलाह। भाग्य नारायण झा दरभंगा के रहिवासी छलाह। 
ओ पत्रकारिता केर संगे - संग साहित्य के दुनिया मे सेहो महत्वपूर्ण योगदान देना छलाह। भाग्य नारायण झा कहानी, नाटक आर एकांकी सेहो लिखने छलाह। मैथिली भाषा से हुनका खास लगाव छलैन्ह। ओ मैथिली मे दर्जनों किताब लिखने छलाह। ओ अप्पन पत्रकारिता केर दौर मे देश -विदेश केर यात्रा सेहो केना छलाह। हुनकर निधन पर हुनका बेटा प्रियरंजन झा मुखाग्नि देलन्हि। हुनकर निधन पर पत्रकारिता जगत मे शोक व्याप्त अछि। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ