तेज प्रताप यादव क' भेटल वाई श्रेणी केर सुरक्षा

पटना। 12 जनवरी। गृह मंत्रालय लालू प्रसाद यादव के बड़का बेटा आर  बिहार सरकार मे स्वास्थ्य मंत्री तेज प्रताप यादव क' वाई श्रेणी केर सुरक्षा देबाक फैसला केलन्हि अछि। मंत्रालय कैल्ह बुधवार दिन तेजप्रताप यादव क' वाई केटेगरी सुरक्षा देबाक लेल अधिसूचना जारी केलन्हि। वाई केटेगरी सुरक्षा केर तहत 11 CRPF जवान केर सुरक्षा भेटैत अछि जाहिमे कमसँ कम एक कमांडो सेहो शामिल होयत अछि।

होम मिनिस्ट्री अधिकारि सभक अनुसार किनको सुरक्षा खुफिया एजेंसी से भेटल इनपुट केर आधार पर देल जायत अछि आर ऐहिक लेल मांग करबाक जरुरत नहि पड़ैत अछि। किछ दिन पहिने एसपी नेता अमर सिंह क' सेहो जेड सिक्यॉरिटी केंद्र सरकार दिससे भेटल छल जाहिक बाद राजनीतिक विवाद सेहो खूब भेल छल।

किछ दिन पहिने कांग्रेस केर प्रवक्ता आर विधायक रणदीप सिंह सुरजेवाला क' वाई श्रेणी केर सुरक्षा देबासे मना क' देल गेल छल, जाहिक बाद ओ हाई कोर्ट मे ऐहिक लेल अपील सेहो केना छला। जाहिपर मंत्रालय कहने छलैन्ह कि हुनका कुनु आतंकवादी संगठन या कोसी विशेष धमकी नहि भेटल अछि एहिलेल हुनका अतिरिक्त सुरक्षा नहि देल जा सकैत अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने