सात माह से वेतन नहि, चरणबद्ध आंदोलन केर ऐलान

कटिहार। 11 जनवरी। कैल्ह मंगलवार दिन सदर अस्पताल मे बिहार चिकित्सा आर जन स्वास्थ्य कर्मचारी महासंघ केर कटिहार इकाई के महत्वपूर्ण बैसार भेल, जाहिक अध्यक्षता नागेन्द्र सहनी केलन्हि। 

एहि बैसार मे मिहिर कुमार दास कहला कि विगत सात माह से वेतन केर  भुगतान नहि भेल अछि। मजबूर भ' सभ के आंदोलन करे पैर रहल अछि।  आगा ओ कहला कि16 से18 जनवरी तक माग के समर्थन मे सिविल सर्जन सभ पदाधिकारीगण कक्षक समक्ष नारेबाजी कायल जायत। 19 से 20 जनवरी तक काला बिल्ला लगाओल जायत। ऐहिक बाद घेराव कायल जायत। मांग पूरी नहि होयबाक स्थिति मे आंदोलन क' आर तेज कायल जायत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ