नीतीश स' 4 गुना बेसी अमीर बेटा निशांत, 2.65 लाख के कर्जदार छैथ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार

पटना। 02 जनवरी। बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सहित राज्य मंत्रिमंडल केर सभ सदस्य अप्पन संपत्ति केर ब्योरा सार्वजनिक केलन्हि अछि। मुख्यमंत्री लग मात्रा 42566 टाका केर नकदी अछि, जखनकि ओ  कुल 16,49,177 टाका केर चल संपत्ति केर मालिक छैथ। ई आंकड़ा वर्ष 2016 केर अछि। नीतीश कुमार के कुल संपत्ति 56,49,177 टाका अछि।

खास बात ई अछि कि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अप्पन बेटा स' लगभग  4 गुना कम संपत्ति के मालिक छैथ। हुनकर बेटा निशांत लग़ 2,36,00,330 टाका केर चल-अचल संपत्ति छैन्ह। निशांत के चल संपत्ति मे 17 लाख व अचल संपत्ति मे 4.69 लाख टाका बेर बढ़त भेल छैन्ह। 

मुख्यमंत्री के बैैंक खाता म' जमा राशि मे पिछ्ला बरख केर तुलना में एहि बरख मामूली बढ़ोतरी भेल छैन्ह। पिछला बरख यानी 2015 मे पटना सचिवालय स्थित हुनकर बैैंक खाता मे 46 हजार, 362 टाका छलैन्ह जे बढ़िके 61 हजार 326 टाका भेल अछि। कम भेलन्हि चल संपत्ति, अचल संपत्ति यथावत छैन्ह। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अप्पन संपत्तिक जे ब्योरा देलन्हि अछि ओहिमे ओ अप्पन 10 गाय आर पांच बछड़ा केर सेहो जिक्र केना छैथ। पिछ्ला साल केर तुलना मे नीतीश केर चल संपत्ति 2.48 लाख टाका कम भेल छैन्ह। 

नीतीश कुमार के 40 लाख टाका केर अचल संपत्ति के ब्योरा मे कुनु तरहक  बदलाव नहि भेल छैन्ह। ई द्वारका (दिल्ली) केर फ्लैट केर दाम अछि। नीतीश ई फ्लैट 23 अप्रैल, 2004 में 13.38 लाख टाका मे किनना छलाह।  अचल संपत्ति केर नाम पर नीतीश लग बस ई फ्लैट अछि। 

नीतीश कुमार से करीब 1.79 करोड़ टाका बेसी के संपत्ति हुनकर बेटा निशांत लग छैन्ह। निशांत क' हुनकर माता (स्वर्गीय मंजू सिन्हा) के आर  कल्याण बिगहा व हकीकतपुर केर पैतृक संपत्ति भेटल अछि। कल्याण बिगहा के संग-संग जगनपुरा (पटना) मे गैर कृषि भूमि सेहो अछि। 

नीतीश कुमार पर एखनहुँ 3.79 लाख केर कर्ज अछि। 2015 मे ई 6.44 लाख छल। नीतीश कुमार विधान परिषद के जरिया कार लोन लेना छलाह। फोर्ड केर इको स्पोर्ट्स कार किनना छलाह। हुनका लग एक सैंट्रो कार सेहो छैन्ह, जे उपहार मे भेटल छैन्ह। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ