पीएचसी पंचगछिया केर होयत कायाकल्प, 4 करोड़ केर लागत से बनत 30 बेड केर अस्पताल

सहरसा। 03 जनवरी। मात्र 6 बेड केर सुविधा बला पीएचसी पंचगछिया केर कायाकल्प होमे जे रहल अछि। बरख 2018 केर शुरुआत होयते लोग सभ के  सीएचसी  केर सुविधा भेटब शुरू भ' जायत। विभाग द्वारा एहिठाम  तीस बेड केर अस्पताल केर निर्माण शुरू कर' देल गेल अछि। भवन निर्माण मे 3 करोड़ 82 लाख 85 हजार 341 केर राशि खर्च होयत।

स्वास्थ्य विभाग द्वारा दिसंबर 2017 तक भवन निर्माण काज पूर्ण करबाक  सख्त निर्देश संवेदक क' देल गेल अछि। भवन निर्माण काज पूरा होयबाक बाद पीएचसी पंचगछिया मे सीएचसी केर सुविधा भेटब शुरू भ' जायत।

सीएचसी सुविधा बहाल होयबाक संभावना से क्षेत्र वासि सभ मे खुशी केर माहौल अछि। पटोरी के मनोज दत्ता, पंचगछिया के संजीव सिंह, बरहशेर के मनोरंजन पांडेय कहला कि 30 बेड केर सुविधा भेटला से आब क्षेत्र वासि सभ क' अन्यत्र नहि जे परतैन्ह। आगा ओ सभ कहला कि सीएचसी केर सुविधा भेटबाक संगे - संग  चिकित्सक केर पदस्थापन सेहो जरूरी अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने