राज्य भरिमे पत्रकार केर हत्याक सिलसिला निरंतर जारी अछि, एक आर पत्रकार केर गोली मारी हत्या

समस्तीपुर। 04 जनवरी। सीवान जिला मे पत्रकार राजदेव रंजन केर हत्या आर सासाराम मे पत्रकार धर्मेंद्र सिंह हत्या केर गुत्थी एखन धरी सुलझबो नहि करल कि राज्य के समस्तीपुर जिला के विभूतिपुर मे कैल्ह मंगलवार क' एक हिन्दी दैनिक केर पत्रकार ब्रजकिशोर ब्रजेश केर  अपराधि सभ गोली मारकर हत्या क' देलन्हि। पुलिस केर मुताबिक़,  पत्रकार ब्रजकिशोर सांझ क' सलखनी गाम स्थित अप्पन पिता के चिमनी ईंट-भट्ठा गेल छलाह, टखने एक बोलेरो पर सवार अपराधि सभ अंधाधुंध गोलीबारी केलन्हि, जहिसे घटनास्थल पर हुनकर मौत भ' गेलन्हि। 

पुलिस केर एक अधिकारी कहला कि पत्रकार क' सात गोलि लागल छलैन्ह।  पुलिस घटनास्थल पर पहुंचकर जांच शुरू क' देलन्हि अछि। घटना के बाद स्थानीय पत्रकार आर लोग सभमे रोष अछि। फिलहाल हत्या केर कारण स्पष्ट नहि भेल अछि। गौरतलब अछि कि सीवान के पत्रकार राजदेव रंजन क' पिछला बरख 13 मई क' अखबार केर दफ्तर सँ घर आबैत घरी किछ अपराधि सभ गोली मारी हत्या क' देना छल। एहि पूरा मामला केर जांच फिलहाल सीबीआई क' रहल अछि। दिवंगत पत्रकार केर पत्नी आशा रंजन क' सेहो किछ दिन पहिने केस वापस लेबाक लेल धमकी भेटल छल। पिछले बरख 12 नवम्बर क' सासाराम मे सेहो पत्रकार धर्मेंद्र सिंह केर हत्या क' देल गेल छल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने