ग्रामीण सभ डीलर केर खिलाफ प्रदर्शन केलन्हि

मधेपुरा। 10 जनवरी। जिला के आलमनगर प्रखंडक गंगापुर पंचायत के ग्रामीण सभ समाहरणालय द्वार पर जन वितरण प्रणाली विक्रेता सोती राय केर खिलाफ प्रदर्शन केलन्हि। ग्रामीण सभ जिला पदाधिकारी क' आवेदन द' दुकानदार पर आरोप लगेलन्हि अछि कि खाद्यान्न सामग्री मे गेहूं चावल आर केरोसिन तेल वितरण करबामे मनमानी कायल जायत अछि।
 
लाभुक कूपन ल' सामग्री लेबा जायत छैथ तेँ हुनका संग माईरपीट आर  गाली गलौज कायल जायत अछि। नवंबर माह से खाद्यान्न नहि भेटबाक  कारण परिवार मे भूखमारी केर समस्या उत्पन्न भ' गेल अछि।  एहि समस्या केर सूचना प्रखंड आपूर्ति पदाधिकारी आलमनगर क' सेहो देल गेल मुदा एखन धरी कउनु कार्रवाई नहि कायल गेल अछि। जहिसे साफ अछि कि आपूर्ति पदाधिकारी केर मिली भगत से जन वितरण प्रणाली खाद्यान्न केर कालाबाजारी क' रहल छैथ। ग्रामीण सभ जिलाधिकारी से मांग केलन्हि कि जांच करि कार्रवाई कायल जाय। प्रदर्शन मे शंकर राम, सुनिता देवी, दिनेश मंडल, श्रीदेव पासवान, माला देवी, अमरजीत पासवान, जामुन ऋषिदेव, जब्बार अली सहित बहुत रास संख्या मे ग्रामीण सभ शामिल छलाह। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने